कुल पेज दृश्य

मंगलवार, 24 नवंबर 2009

मैथिली गीत सब एलय फगुआ में सजना लल्लन प्रसाद ठाकुर

मैथिली गीत

- लल्लन प्रसाद ठाकुर -

सब एलय फगुआ में सजना ,
अहाँ बिना मोर आँगन सूना ।
सब एलय ....................।

चतुर्थिक राति अहाँ पढिते रहलहुँ,
भोरे उठि कs अहाँ चलि देलहुँ ।
चिट्ठियो नहि देलहुँ खबरियो नहि लेलहुँ,
जाइत काल एकोटा फोटुओ देलहुँ ।
इहो नहि बुझलियय हम जीबय कोना ।
सब एलय .................... ।

खूब पढू खूब पढू खूब पढू यौ,
कखनो कs हमरो बिचारि करू यौ,
लाल काकी के जोड़ा बेटा भेलैंह,
सौंसे गामे के ओ भोज केलैन्ह,
अपन कर्मक लिखल के मेटत के,
ककरो एकोटा नहि ककरो भेंटय दूना ।
सब एलय .................... ।

*******************************

कोई टिप्पणी नहीं: